Sunday, November 08, 2026
अलीनगर फैशन
BIHAR

महेन्द्र मलंगिया केँ ‘प्रबन्ध संग्रह’ लेल मैथिली भाषाक साहित्य अकादेमी पुरस्कार

Admin User

Published on May 14, 2026 • 15 views
News Image

Source: Mithila Mirror Mithila

Audio Brief

Listen to this news

Approx. 1 min listen

Ready to play
0:00 1:00

मिथिला मिरर, पटनाः मैथिली साहित्य जगत लेल गौरवक विषय अछि जे वरिष्ठ साहित्यकार आ प्रख्यात नाटककार Mahendra Malangia केँ हुनक चर्चित निबंध–संकलन Prabandh Sangrah लेल सन् 2024 क Sahitya Akademi Award (मैथिली भाषा) सँ सम्मानित करबाक घोषणा कएल गेल अछि।
महेन्द्र मलंगिया वैश्विक स्तर पर मैथिली भाषाक सभसँ चर्चित नाटककार मानल जाइत छथि। रंगमंच आ साहित्य दुनू क्षेत्रमे हुनकर महत्वपूर्ण योगदान रहल अछि। हुनक नाटक आ लेखन मात्र मिथिला धरि सीमित नहि, अपितु भारत आ नेपाल सहित अन्तर्राष्ट्रीय स्तरपर सेहो प्रशंसा प्राप्त कएने अछि।
‘प्रबन्ध संग्रह’ निबंध–संकलनमे मिथिलाक साहित्य, संस्कृति, लोकपरम्परा, नाट्य–धारा, कीर्तन–परम्परा आ ऐतिहासिक विषयसभ पर गहन आ अनुसन्धानपरक विचार प्रस्तुत कएल गेल अछि। एहि पोथीमे कुल उन्नीसटा निबंध संकलित अछि, जाहिमे मिथिलाक सांस्कृतिक चेतना आ लोकजीवनक विविध आयामक विश्लेषण देखबामे अबैत अछि। लेखक अपन मौलिक दृष्टि आ तर्कपूर्ण शैलीसँ अनेक परम्परागत मान्यताक नव सन्दर्भमे व्याख्या करैत छथि।
मैथिली भाषाक लेल ई उपलब्धि अत्यन्त महत्त्वपूर्ण मानल जा रहल अछि। साहित्य अकादेमी पुरस्कारक घोषणा भ’ गेलाक बाद साहित्यकार, रंगकर्मी आ पाठक–समुदायमे हर्षक वातावरण अछि। मैथिली साहित्य जगत मानैत अछि जे महेन्द्र मलंगियाक एहन सम्मान सम्पूर्ण मिथिला आ मैथिली भाषाक प्रतिष्ठा बढ़ेबाक संग–संग नव पीढ़ीकेँ साहित्य सृजनक लेल प्रेरणा देत।
विदित हो जे महेन्द्र मलंगिया लम्बा समयसँ मैथिली रंगमंच आ साहित्यक क्षेत्रमे सक्रिय छथि। हुनक नाटक, निबंध आ सांस्कृतिक चिन्तन मैथिली साहित्यक विकासमे महत्वपूर्ण योगदान देलक अछि। साहित्य अकादेमी पुरस्कारक घोषणा हुनक दीर्घ साहित्यिक साधनाक राष्ट्रीय स्वीकृति मानल जा रहल अछि।

The post महेन्द्र मलंगिया केँ ‘प्रबन्ध संग्रह’ लेल मैथिली भाषाक साहित्य अकादेमी पुरस्कार appeared first on मिथिला मिरर.

Article Ad

Comments (0)

No comments yet. Be the first to comment.

Sidebar Ad
Newsletter

Get the most important stories delivered to your inbox.